मैथिल समाज

कोना बिगडल जा रहल, सुन्दर मिथिला महान ?

आराध्य आ पूज्य सृष्टिकाल सँ,

समाज सम्मानित आदिकाल सँ ।
अनुकरणीय रहल प्रेरणाक स्रोत,
तिरस्कृत भेल कोन काल सँ ।।
परिवर्तन कहि समाजक, वा विरासतक अवसान ?

मुर्धन्य पुरुषक बनायल समाज,
उदाहरणीय, प्रेरक छल समाज ।
अलौकिक प्रतिभा सँ प्रकाशित,
चहुँदिश चर्चित छल जे समाज ।।
कियेक घटैत जा रहल, आकृति, मान आ सम्मान ?

मिथिला राज्य सन नहि विशाल,
दोसर, जरैत जकर तेज मशाल ।
धनधान्यपूर्ण आ संस्कृतिक धनी,
मिथिला समाज छल खुशहाल ।।
भाषा, संस्कृति, वेशभूषा के, भऽ रहल कोना अवसान ?

विदेह विशाल छल, जनक सम्राट,
नहि मिथिला सन, राज्य विराट ।
याज्ञबल्क्य, गार्गी, मैत्रेयी सबके,
शास्त्रार्थ भूमि छल जे महाराष्ट्र ।।
विराटताक महासागर मे डुबि रहल कियेक दिनमान ?
२०४७ मंसिर  २४ गते, फत्तेपुर – ८  बलार्दह, सप्तरी 

Leave a Comment

error: Content is protected !!